Wednesday 31 October 2018

[Maithili Vidyapati Song] Jai Jai Bhairavi




[ http://www.youtube.com/rajnipallavi/videos ]
Jai Jai Bhairavi [ Singer : Rajni Pallavi ]
A maithili Vidyapati's geet

मैथिल मूलत: शक्तिक उपासक होइत छथि तै॑ मैथिल अपना के शाक्त कहैत छैथि। जय-जय भैरवि गोसाउनिक वन्दना गीत थिक। एहि भक्ति गीत मे ॔गोसाउनिक विभिन्न मुद्रा आ भावक वर्णन कायल गेल छैक।

जय-जय भैरवि अस्तुति गान थिक जेकर रचना महाकवि विद्यापति द्वारा कायल गेल छैक। एहि गीत मे॑ भगवति के काली आ दुर्गाक रौद्र रूपक वर्णन कय हुनका प्रसन्न करबाक चेष्टा कयल गेल छैक।

मिथिलाक घर-घर मे॑ गोसाउनिक पूजा होइत छैक। कोनो शुभ कार्यक प्रारम्भ मे॑ गोसाउनिक गीत गयबाक परम्परा छैक तै॑ जय-जय भैरवि गाबि क कोनो शुभ कार्यक प्रारम्भ होइत छैक।

अपना मिथिला समाज मे॑ नवतुरिया सब जय-जय भैरवि बिसरि रहल छथि। हरेक मैथिल के एहि गीतक अभ्यास करय के चाही। येह सोचि एहि गीत के गाबि मैथिलक समक्छ हम प्रस्तुति कय रहल छी। हमर गायन सुनि जॅ॑ मैथिल लोकनि के कनेको प्रेरणा भेटनि त बूझब हमर गायन सफल भेल।
रजनी पल्लवी
Author: Rajni Pallavi
Tags:


source

No comments:

Post a Comment